Blogger templates

शुक्रवार, 20 अप्रैल 2012

AAGI KER JHOKA AAB GAAM AABI GEL


Jaagu Maithil Jaagu! Dahej Mukt Mithila banaabu! Saurath Sabha ke bachaabu. Harih Harah!
देखियौ आगि के झोंका में कते टा गाम आबि गेल
एक लुत्ती के कारण जरि सभ खाख में मिलि गेल!

आगि कोनो मालक लथैर सऽ घूर द्वारा नहि पजड़ल
विध्वंसी विद्वेषी लोक के चिलम सऽ अछि निकलल

पाकिटमारी करैत ब्लैकिया नेता होबय चलि गेल
एक लुत्तीके कारण जरि सभ खाखमें मिलि गेल!

नेतबा सभटा पहिले सऽ बस खाइ के बाट तकलक
सड़क वैह बनौलक जाहि में ठीकेदार जेबी भरलक

सगरो देखियौ फूसिये के विकास कऽ चललि रेल
एक लुत्तीके कारण जरि सभ खाख में मिलि गेल!

अपने मने तोड़ि-फाड़ि इतिहासक रचना कयलक
अन्दाजी पंचे डेढ सौ भैर चिट्ठा फूसिये बनौलक

एहेन-एहेन के पाछू लाइकक ढेर अछि लागि गेल
एक लुत्तीके कारण जरि सभ खाख में मिलि गेल!

फेसबुकिया नेता सऽ बचि के सम्हरू मैथिल भाइ
नहि तऽ कौनो दिन लूटायत ऐश्वर्यक सभ मेल
एक लुत्तीके कारण जरि सभ खाख में मिलि गेल!

हरिः हरः!
Can't it take the form of a book really?

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें