आइ भोरे भोर दरभंगा पहुँचलौ। मैथिली फिल्म अकादमी दिससँ ओयोजित पहिल मैथिली फिल्म फेस्टिवलमे भाग लेबऽ हेतु। पहुँचैत देखलौ जे किछु मित्र लोकनि आयोजन स्थलपर उपस्थित भऽ अपन-अपन कार्यमे लागल छला। डेरा आबि तैयार भऽ कऽ ससमय दरबार हाल पहुँचलौ। सभसँ पहिने मञ्चपर लागल फलैक्स देखि मोन प्रसन्न भऽ गेल। धिरे-धिरे सभ गणमान्य व्यक्ति अपना समयसँ विलम्बसँ पहुँचला। जे की पैघ लोकक पहचान होइत अछि। कार्यक्र मक आरम्भ चन्द्रमणि जी गोसाउनी गीत जय जय भैरवि गाबि कऽ केलनि। चन्द्रमणिजीक मञ्च सञ्चालन देख लागि रहल अछि जे मैथिलीमे उद्घोषक या तँ छथि नञि अथवा नीक कलाकारकेँ अवसर नञि भेटैत अछि। सी परमानन्द जिनका मैथिली सिनेमाक जनक कहल जाइत अछि ओ आबि दीप जरा कार्यक्रमक शुभारम्भ केलनि। हुनका संग कुलपति एसपी सिंह, एडीजीपी आरके मिश्र आ कार्यक्रमक संयोजक शशी मोहन भारद्वाज सेहो छला। कार्यक्रमक दोसर सत्रमे मैथिली फिल्मक इतिहास आ वर्तमान विषयपर परिचर्चाक आयोजन कएल गेल। एहिमे ऋषि वशिष्ठ, विणा ठाकुर, शम्भू नाथ मिश्र, कुमार शैलेन्द्र, बालकृ ष्ण झा आदि लोकनि अपन अपन विचार रखलनि। एकरा बाद सभागरमे उपस्थित सभ कलाकारकेँ मञ्चपर पाग दोपट्टासँ सम्मानित कएल गेल। ओमहर मनोरञ्जन गृहमे मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महग सेनुर आ दुलरूआ बाबूक प्रदर्शन कएल गेल। कार्यक्रमक अन्तिम सत्र सांस्कृतिक कार्यक्रमक छल। एहिमे कुञ्ज बिहारी मिश्र, पवन नारायण, मदन मोहन, मनीष आनन्द आदि लोकनि अपन कलाक सुन्दर प्रदर्शन केलनि। एहि अवसरपर बंगालसँ आएल मैथिली फिल्मक अभिनेत्री टिंवकल बोस अपन नृत्यसँ सभागारमे बैसल दर्शक लोकनिक मन मोहि लेलनि।
कहबाक ई जे मैथिली फिल्म फेस्टिवलमे तकनीकी स्तरपर कतेको रास कमी देखबामे आएल। जेना कलाकारक सम्मान समारोहमे उद्घोषणा स्तरपर अव्यवस्था आ बहुत रास कमी देखल गेल। मुदा किछु होउ एक गोट पत्रकार द्वारा कएल गेल प्रयास साहासिक आ सराहनीय अछि। एहि लेल कार्यक्रमक संयोजक आ इण्डिया न्यूजक पत्रकार शशी मोहन भारद्वाज धन्यवादक पात्र छथि।
रिपोर्ट - गुञ्जन श्री
-9386907933

0 comments:
एक टिप्पणी भेजें