अन्तर्राष्ट्रीय एकदिवसीय क्रिकेटसँ संन्यास लेनिहार मास्टर ब्लास्टर सचिन तेन्दुलकर मुम्बइ अण्डर 14 टीममे चयनित कएल जेबापर खुशी व्यक्त केलनि अछि। क्रिकेटप्रेमी लोकनीसँ ओ अपील के लनि अछि जे अर्जुनकेँ आम खिलाड़ी जका क्रिकेटक आनन्द लेबऽ दथु। आन माता-पिताक समान ओहो अपन पुत्रकेँ टीममे सम्मिलित कएल जेबासँ गौरवान्वित छथि। ओ कहलनि जे कड़गर परिश्रमक फर अर्जुनकेँ प्राप्त भेल अछि। ओ आशा व्यक्त केलनि जे हुनक पुत्र टीममे समान्य सदस्यक भाँति खेलक आनन्द लेता। उल्लेखनीय अछि जे 13 बरखक अर्जुन वेस्ट जोन लीगमे भाग लेबऽ लेल मुम्बइ केर 15 सदस्यीय टीममे चुनल गेला अछि। गुजरातमे 20 जनवरीसँ एक फरवरी धरि एहि लीगक आयोजन होएत।
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

0 comments:
एक टिप्पणी भेजें