Blogger templates

शुक्रवार, 11 जनवरी 2013

मैथिलानी बिनु लोक गायक अधुरा

   मैथिली संस्कृतिमे लोक गायन परम्परा विषयपर बुधके ँ जनकपुरमे एक गोट सभाक आयोजन कएल गेल। नेपाल पज्ञा प्रतिष्ठानक संस्कृति विभागक सहयोगसँ आयोजित भेल। एहि दू दिवसीय कार्यक्रममे गायन परम्पराक जिवन्त रखबा लेल जोड़ देलनि। गोष्ठीक अध्यक्षता रंगदर्पणक अध्यक्ष अवधेश कामत केलनि। स्वागत गीत नेपालक लोक गायक सोभित राउत आ मधुबनीक विष्णुदेव पासवान द्वारा संयुक्त रूपसँ कएल गेल। एहि अवसरपर डॉ. राजेन्द्र विमल लोक गायनकेँ बचेबा लेल सभामे उपस्थित सभ गोटेसँ आग्रह केलनि। डॉ. प्रफुल कु मार सिंह कहलनि जे एहि तरहक आयोजनसँ दुनू पारक मिथिला प्रसन्न होएत। त्रिभुवन विवि मैथिली विभागक प्रमुख परमेश्वर कापड़ी, विद्यापति पुरस्कार कोषक अध्यक्ष अयोध्याय नाथ चौधरी, साहित्यकार डॉ. बुचरू पासवान, चन्द्रेश, मिनापक सुनील मल्लिक सेहो विचार रखलनि। मञ्च सञ्चालन नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक संस्कृति विभागक प्रमुख प्राज्ञ राम भारोस कापड़ि भ्रमर द्वारा सम्पन्न भेल। एहि अवसरपर कतेको देर धरि सांस्कृ तिक कार्यक्रम सेहो चलैत रहल। एहिमे कतेको कलाकार लोकनि भाग लेलनि। 

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें