Blogger templates

मंगलवार, 12 मार्च 2013

स्वागतक योग्य अछि यूपीएससी केर नव नियम


 स्वागतक योग्य अछि यूपीएससी केर नव नियम

 यूपीएससी केर नियममे कएल गेल परिवर्तनक हम सर्मथन करै छी। कारण जँ हमरा लोकनि अपन-अपन मातृभाषाक उन्नति चाहै छी तँ एहि निर्णयक स्वागत अवश्य कएल जेबाक चाही।
पहिने ई जानि ली जे नव नियम अछि की?
एहि निर्णयक अनुसार कोनो छात्र वा छात्रा तखने कोनो क्षेत्रीय भाषासँ कमीशनक तैयारी कऽ सकै छथि जखन ओ ओहि क्षेत्रिय भाषामे ग्रेजुएट होथु। आब कहु की ई निर्णय गलत अछि?
जँ हमरा लोकनि आरम्भमे क्षेत्रीय भाषा नञि पढ़ब तखन कमीशन स्तरमे कीएक?
की एहि लेल जे क्षेत्रीय भाषाक सीलेबस आसान होइत अछि। कोनो आन भाषाकेँ एहि नियमसँ लाभ होएत वा नञि से नञि जानि, मुदा मैथिलीकेँ अवश्य होएत। मैथिलीसँ जँ क्यौ कमीशनक तैयारी करऽ चाहता तँ हुनका कालेजेसँ मैथिली पढ़ऽ परतनि।

0 comments:

एक टिप्पणी भेजें