Blogger templates

रविवार, 15 जुलाई 2012

झुला केर गीत


मिथिलाक गाम घर

झुला केर गीत


जनक नगरि मे सिया सन्ग झुला झुलय
चलु झुला देखय , चलु झुला देखय .

झुला केर शोभा अछि अनुपम बद्द भारि
राम सन्ग झुलै हुनक सर्होजि आ साडि
हुनका सन्ग मे झुलय के मन सब के करय
चलु झुला देखय , चलु झुला देखय .

भरत शत्रुघन लक्श्मन सेहो झुलय
झुलन केर झाकि देखि सखि सब हसय
जतय राम के सखि सब गाडि पारय
चलु झुला देखय , चलु झुला देखय .

रध सन्ग कान्हा झुलय ब्रह्मा सन्ग ब्रह्मानि
मात गौरि केर सन्ग झुलय भोल दानि
जनक नगरि मे झुला देखय सब कियो आबय
चलु झुला देखय , चलु झुला देखय .

रोशन कुमर झा



0 comments:

एक टिप्पणी भेजें