सीएमएस केलनि दरभंगा जं. केर औचक निरीक्षण
दरभंगा, 29 दिसम्बर । मुख्य चिकित्सा अधीक्षक डा. शीलेन्द्र मोहन शनिकेँ दरभंगा जं. औचक निरीक्षण केलनि। स्टेशनपर कूड़ाक ढेरी लागल देखि ओ खिसिया गेला। स्टेशनक सफाइ करएबला सम्बेदककेँ दू हजार टाका जुर्माना कऽ देलनि। सफाइ बढ़िया नञि देखि एहि लेल मुख्य स्वास्थ्य निरीक्षक निरञ्जन दासकेँ जोरसँ डँटलनि आ एहिमे सुधार लेल कहलनि। श्री मोहन यात्री प्रतीक्षालय, रिटायरिङ रुम आ अपूर्वा भोजनालयकेँ सेहो देखलनि। सभ ठाम गन्दा देखि चेतौनी सेहो देलनि। स्टेशन परिसरक बाहर नो- पार्किङ जोनमे गाड़ी ठाढ़ देखि स्टेशन अधीक्षक एनएम झाकेँ एहि लेल निर्देश देलनि। एहिसँ पहिने सीएमएस रेलवे कॉलोनी स्थित स्वास्थ्य केन्द्र पहुँचला। ओहिठाम उपलब्ध चिकित्सा व्यवस्थाक अवलोकन केलनि। आवश्यक निर्देश वरिष्ठ मण्डल चिकित्सा पदाधिकारी डा. सुबोध कुमार मिश्रकेँ देलनि। कॉलोनीक नालाकेँ गन्दासँ भरल देखि ओ खिसिया गेला आ शीघ्र एकरा साफ करबाक आदेश श्री दासकेँ देलनि।
0 comments:
एक टिप्पणी भेजें